गणतंत्र दिवस पर राज्यपाल कहलनि, बिहार मे कानूनी राज स्थापित अछि

    0
    279

    पटना, मिथिला मिरर: देश आय 68’म गणतंत्र दिवस मना रहल अछि। अहि अवसर पर पूरा बिहार मे उत्साहक माहौल बनल अछि। पटना के गांधी मैदान मे राज्यपाल रामनाथ कोविंद पूर्वाह्न 09.00 बजे झंडोत्तोलन केलनि। अहि सं पहिने ओ पटना के कारगिल चौक पर शहीद के श्रद्धांजलि देलनि। अहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो उपस्थित छलाह।

    अहि कार्यक्रम मे 20 हजार अतिथिकें आमंत्रित कायल गेल छल। अहि अवसर पर आयोजित परेड के नेतृत्व बिहार रेजिमेंट के मेजर शैलेंद्र वर्मा कय रहल छलाह। जाहि मे 20 टुकडी शामिल छल। अहि अवसर पर अप्पन संबोधन मे राज्यपाल कहलनि जे, बिहार मे कानूनक राज स्थापित करबा मे सरकारक सर्वोच्च प्राथमिकता अछि।

    ओ कहलनि जे, बिना भेदभाव के अपराध नियंत्रणक काज जारी अछि। राज्य मे भ्रष्टाचार के खिलाफ जीरो टॉलरेंसक नीति लागू कायल गेल अछि। नागरीक के कानूनी अधिकार दय सशक्त बनाओल गेल अछि। बिहार एहेन करय वला देशक पहिल राज्य बनल अछि।