कर्ज सं डूबल किसान खेलक सल्फास, मुश्किल सं बाँचल प्राण

    0
    276

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे एक दिस बाढ़िक कहर अछि त दोसर दिस रौदीक स्थिति। मुजफ्फरपुरक मीनापुर के मुसलमानी चक गामक एकटा रौदी सं पीड़ित किसान आत्महत्या करबाक कोशिश केलक।

    रौदी आ कर्जक दोहरी मारि झेल रहल किसान कीटनाशक दबाई खा कय आत्महत्या करबाक प्रयास केलक। परिजन के प्रयास स पीड़ित किसान के अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल। जतय किसानक हालत स्थिर बताओल जा रहल अछि।

    मुजफ्फरपुर के एसके मेडिकल कॉलेजक इमरजेंसी वार्ड मे इलाजरत किसान अनिल कुमार रौदी आ कर्ज के बोझ सं परेशान छल। परिजनक मुताबिक ई इलाका पिछला किछु साल सं रौदीक चपेट मे अछि। जाहि सं खेती प्रभावित होइत अछि।

    खेती सं बेहाल किसान सुइद पर रुपैया सेहो लेने छल, आ रुपैयाक किल्लत सं लगातार परेशान चलि रहल छल। ताहि कारने समस्या स छुटकारा पेबाक लेल कीटनाशक दबाई खा क प्राण देबाक प्रयास केलक।