समस्तीपुर मे राजद नेता पर फायरिंग, विधानसभा अध्यक्ष पर आरोप

    0
    284

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर जिला मे शुक्रदिन अपराधी राजद नेता पर जानलेवा हमला केलक। मामला मुसरीघरारी थाना के रुपौली के अछि, जतय पूर्व मुखिया आ आरजेडी के प्रखंड अध्यक्ष पर अज्ञात आधा दर्जन मोटरसाइकिल सवार अपराधी ताबड़तोड़ फायरिंग केलक।

    अहि वारदात मे पूर्व मुखिया आ राजद नेता मामूली रूप सं जख्मी भय गेल। आक्रोशित मुखिया समर्थक घटना के पाछु विधानसभा अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी’क हाथ बतौलक अछि। घटना के विषय मे घायल मुखिया संदीप राय कहलनि जे, भोर मे बच्चा के स्कूल छोड़बा काल रुपौली चौक के समीप सड़क कात मे एनएच 28 पर अपराधी ताबड़तोड़ फायरिंग शुरू कय देलक।

    अहि दौरान तीन गोली मुखिया के शरीर के छुबैत निकलल, जाहि मे ओ मामूली रूप सं घायल भय गेलाह। पूर्व मुखिया के कहब अछि जे, राजनीतिक रंजिश के कारण ई जानलेवा हमला कायल गेल अछि। घायल मुखिया के समर्थकक आरोप अछि जे, स्थानीय विधायक आ विधान सभा अध्यक्ष के इशारा पर ई हमला भेल अछि।

    घटना स आक्रोशित लोक रुपौली के समीप एनएच 28 के जाम कय विधानसभा अध्यक्ष आ पुलिसक खिलाफ नारेबाजी केलक। घटनाक सूचना पर डीएसपी मौका पर पहुंचकय मामलाक जांच मे जुटि गेल छथि।