पुलिसवलाक कब्जा सं कोना मुक्त होयत ई सरकारी स्कूल

    0
    384

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक एकटा पुलिसवला स्कूलक बिल्डिंग के रजिस्ट्री करवा लेलक आ पूरा स्कूलक जमीन पर कब्जा कय लेलक अछि। राजधानी पटनाक धनरूआ प्रखंड मे स्थित राजकीय विद्यालय विजयपुराक सरकारी संपति नहि भय एकटा पुलिसकर्मी उमेसल शर्माक संपति अछि।

    मामलाक लय गामक निवासी ओम प्रकाश शर्मा किछु ग्रामीणक संग मिलकय पिछला कई साल सं स्कुल के कब्जा सं मुक्त करेबाक लड़ाई लड़ी रहल अछि, मुदा लालफीताशाहीक लापरवाही रास्ता मे बाधक बनल अछि।

    ओम प्रकाश शर्माक आरोप अछि जे, शिक्षा विभागक प्रधान सचिव स लय पटनाक जिलाधिकारी संजय अग्रवाल जिला शिक्षा पदाधिकारी के आवश्यक कार्रवाईक आदेश देलक अछि, मुदा जिला शिक्षा पदाधिकारी अहि मामला के लय लापरवाह बनल अछि।

    फोटो: काल्पनिक