मधुबनी मे युवतीक संग सामूहिक दुष्कर्म, फोटो भेल वायरल

    0
    350

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के खुटौना थाना क्षेत्रक हनुमानगर गाम मे महादलित परिवारक एकटा युवतीक संग सामूहिक दुष्कर्म करबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। घटना नवंबर माह के बताओल जा रहल अछि। अहि बातक खुलासा तहन भेल जहन दुष्कर्मी द्वारा मोबाइल स खींचल गेल तस्वीर वायरल कय देल गेल।

    अहि संबंध मे पीड़िताक पिता महिला थाना मे बुधदिन प्राथमिकी दर्ज करौलक अछि, जाहि मे फुलपरास थाना क्षेत्रक बथनाहा गाम निवासी राजा, हनुमाननगर गाम निवासी अमन कुमार उर्फ बिट्टू एवं पंकज कुमार सिंह सहित पांच गोटे के आरोपित कायल गेल अछि।

    दर्ज आवेदन मे पीड़िताक पिता कहलक अछि जे, नौ नवंबरक राति शौचक लेल लड़की निकली छल, जकरा संग गामक एकटा संस्कृत विद्यालय मे लय जा सामूहिक दुष्कर्म कायल गेल एवं मुंह नहि खोलबाक धमकी देलक। आरोपी पीड़िताक संग दुष्कर्मक फोटो सेहो खींचने छल।