कनकनी के डरे घर मे दुबकल लोक, सरकारी इंतेजाम नदारद

    0
    424

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जिला मे दिसंबर के शुरुआत सं जारक कहर जारी अछि। भोर स कनकनी के कारण लोक घर मे डकल रहैत अछि। आब लोक ठंड स बचबाक लेल तरह-तरह के उपाय कय रहल अछि। मुदा एखन धरि सरकारी स्तर पर कोनो इंतजाम नहि कायल गेल अछि। जाहि सं लोक के जार सं राहत भेट सकय।

    प्रशासन तापमान मे और अधिक गिरावट के प्रतीक्षा मे अछि। विभागक कहब अछि जे, सरकारक निर्देशानुसार जहन तापमान सात डिग्री सेल्सियस स कम होयत त रैन बसेरा, अलाव, या अन्य पहल जायत। बहुत बेर त बहुते लोकक जार मे असमय मौत तक भय जायत अछि, जाहि लेल 4 लाखक सरकारी मुआवजाक प्रावधान अछि।

    फसलक क्षति भय जायत अछि। परंतु सरकारी नियमक जानकारी नहि भेला सं लोक के आपदा विभाग स एकर लाभ नहि भेटैत अछि।