मिथिला राज्य निर्माणक प्रस्ताव पारित करबाक लेल दरभंगा जिला परिषद् केर सदस्य सब भेलाह सम्मानित

    0
    458

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: जिला परिषद् दरभंगा केर अध्यक्ष, उपाध्यक्ष संगहि सब सदस्य आ प्रखंड प्रमुख केर बुधदिन एम. एम. टी. एम महाविद्यालय दरभंगाक सभागार मे मिथिला विभूति सम्मान सँ सम्मानित कयल गेल। जकर अध्यक्षता जिला पार्षद अध्यक्ष श्रीमती गीता देवी केलैन।

    अही अवसर पर अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति केर राष्ट्रीय अध्यक्ष डॉ बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ सब सदस्य के पाग, चादरि आ माला द सम्मानित केलैन। डाॅ बैजू सब जिला पार्षद सदस्य के स्वागत करैत कहलैन जे, दरभंगा जिलाक जिला पार्षद के सदस्य लोकैन मिथिला राज्य केर निर्माणक प्रस्ताव पारित कय एकटा ऐतिहासिक कार्य केलैन। हिनकर सबहक ई कदम मीलक् पत्थर साबित होयत।

    डॉ बैजू मिथिला राज्य केर प्रस्ताव पारित करबा लेल जिला पार्षद अध्यक्ष आ सब सदस्य के आभार प्रकट करैत हुनका सब के साधुवाद देलनि।