एनडीए देलक महागठबंधन सरकार के एक सालक लेखा-जोखा

    0
    479

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे महागठबंधन सरकारक एक साल पूरा होबय पर शनिदिन एनडीए एकटा रिपोर्ट कार्ड पेश केलक। एनडीए के नेता प्रेस कॉन्फ्रेंस कय नीतीश सरकार के एक सालक काजक लेखा-जोखा पेश केलनि आ सरकारक कमी तथा नाकामी गिनेलनि। भाजपा नेता सुशील मोदी कहलनि जे, गठबंधनक सरकार अछि आ पिछला एक साल स बिहारक हाल बेहाल अछि।

    मोदी कहलनि जे, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दावा करैत घूमि रहल छथि जे, बिहार मे बहार अछि, मुदा सच्चाई ठीक उलटा अछि। ओ कहलनि जे, पिछला एक साल मे छह पुलिसकर्मी आ चारि टा पत्रकारक हत्या भेल अछि, अहि सं आपराधिक बढ़ैत मनोबलक पता चलैत अछि।

    प्रेस कॉन्फ्रेंस मे हम के नेता जीतन राम मांझी, लोजपा नेता राम विलास पासवान, भाजपा नेता मंगल पाण्डेय, प्रेम कुमार, रालोसपा नेता उपेंद्र कुशवाहा सहित एनडीए के बहुत नेता मौजूद छलाह।