दरोगा द्वारा दुर्व्यवहार के खिलाफ सड़क जाम

    0
    510

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: नितीश कुमारक दरभंगा दौराक लेल लोहिया चौक पर तैनात दरोगा प्रमोद सिंह द्वारा आमजनताक संग दुर्व्यवहार एवं अवैध उगाहीक आरोप लगा कय स्थानीय लोकक संग भाकपा मालेक कार्यकर्ता सड़क पर बैसि कय विरोध प्रदर्शन केलक। जाहि सं लोहिया चौकक मुख्य सड़क जाम भय गेल अछि। आंदोलनकारीक मांग अछि जे दरोगाक जल्द सं जल्द निलंबित कायल जाय। जा धरि दरोगाक निलंबन नहि होयत विरोध जारी रहत।