मधुबनीक प्रधान डाकघर मे नहि बदलल जा रहल अछि नोट

    0
    494
    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक प्रधान डाकघर मे रविदिन भोरे सं लोकक भीड़ रुपैया बदलबाक लेल लागल छल। 10 बजे प्रधान डाक घर मे गेट खुलितहि लोक परिचय पत्र लय अंदर पहुंचय लागल। परंतु कर्मचारी द्वारा सिर्फ बचत खाता वला के राशि देबाक बात कहल गेल। कतार मे ठाढ़ लोक हल्ला करय लागल।
    राघोपुर निवासी रविन्द्र कुमार कहलनि जे, हमर पत्नीक ऑपरेशन अछि। हम दू घंटा सं कतार मे ठाढ़ छी, मुदा एतय राशि नहि हेबाक बात बताओल जा रहल अछि। एतय बहुतो विद्यार्थी फॉर्म भरबाक लेल रुपैया एक्सचेंज कराबय आयल छल, मुदा निराश होबय पडल। डाक अधीक्षक मो. जैनुद्दीन कहलनि जे, राशि नहि भेटल अछि जाहि कारने रविदिन एक्सचेंजक काज लगभग बंद अछि।