गोली लगला सं घायल मधुबनी’क युवक डीएमसीएच रेफर

    0
    556
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मधुबनी जिलाक लौकही थाना क्षेत्रक धोबियाही गाम मे रविदिन भोर मे आंटा चक्की मिल मे सुतल एकता युवक के अपराधी उठा कय गोली मारि देलक, जाहि सं युवक घायल भय गेल। युवकक पहिचान अशोक साह (28) के रूप मे कायल गेल अछि। युवक के गंभीर हाल मे दरभंगा रेफर कय देल गेल अछि।
    घायल युवक के पिता चरित्र साह के अनुसार अशोक आंटा चक्कीक दोकान मे सुतल छल। रविदिन भोर मे करीब पौने चारि बजे तीनटा अज्ञात अपराधी घटना के अंजाम देलक अछि। अपराधी घटना के बा भागी गेल। जख्मी के लौकही स्वास्थ केन्द्र आनल गेल, जतय प्राथमिक उपचार के बाद युवक के दरभंगा रेफर कय देल गेल।