एटीएम मशीन मे आगि लगला सं लाखो रुपैया जरि कय खाक By admin - November 8, 2016 0 500 Share on Facebook Tweet on Twitter पटना, मिथिला मिरर: राजधानी के पीरबहोर थाना क्षेत्र स्थित खेतान मार्केट के अंदर लागल एटीम मशीन मे आगि लाइग गेल, जाहि मे एटीएम मशीन जलि कय राख भय गेल। फिलहाल आगि लगबाक कारणक पता नहि चलि सकल अछि। स्थानीय लोकक अनुसार शार्ट सर्किट सं ई आगि लागल अछि। ओतहि मौका पर पहुंचल दमकल के गाड़ी आगि पर काबू पाबि लेलक अछि। सूत्रक अनुसार एटीएम मे राखल लाखो रुपैया जरि कय राख भय गेल। हालांकि बैंक अधिकारी पुलिस के राखल रुपैयाक ब्यौरा दय देलक अछि।