रामभद्रपुर ट्रेन हादसा : राज्य सरकार केलक मुआवजाक घोषण

    0
    283
    गौरतलब अछि जे, रामभद्रपुर रेलवे स्टेशन के आउटर के समीप स्थित पोखरि मे छैठ करय जा रहल तीन छैठ व्रति के ट्रेनक चपेट मे एला सं मौत भय गेल छल, जहन कि तीन गोटे घायल भय गेल छल।

    घटना के सूचना पर सदर एसडीओ देवेंद्र प्रोज्वल, डीएसपी तनवीर अहमद आ रेल डीएसपी स्मिता सुमन भारी संख्या मे दल-बलक संग मौका पर पहुंचकय लोक समझाबय के प्रयास केलनि, मुदा सब डीआरएम के बजेबाक मांग पर अड़ल छल। आक्रोशित लोकक मांग तथा दबाव के कारण डीआरएम सुधांशु शर्मा घटना स्थल पर पहुंचकय लोक सं बातचीत कय दोषी पर कार्रवाई आ मुआवजा के अनुसंशा करबाक आश्वसन देलनि।

    ओतहि सदर एसडीओ राज्य सरकार दिस सं 4-4 लाख मुआवजाक घोषणा आ बीस हजार प्रति मृतक के परिजन के नगद देबाक बाद आक्रोशित शांत भेल।