लदनियां मे पीएनबी के कैशियर पर 55 लाख गबन करबाक आरोप

    0
    599

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के लदनियां के पंजाब नेशनल बैंकक स्थानीय शाखा के प्रधान कैशियर संजय कुमार पर शाखा प्रबंधक 55 लाख 33 हजार रुपैया के गबन करबाक प्राथमिकी स्थानीय थाना मे दर्ज करौलनि। संजय कुमार पूर्व मे अहि मामला मे निलंबित भय चुकल छलाह।

    राशि गबन करबाक मामला मे आरोपित कुमार के आरएम दरभंगा के आदेशानुसार तीन अगस्त क निलंबित कायल गेल अछि। बाद मे अहि मामलाक अधिकारी के जांच कायल गेल छल।

    करीब एक महीना तक चलल अहि ऑडिट मे राशि गबन करबाक आरोप सही पाओल गेल। आरोप सही पेलाक पर मंडल कार्यालय दरभंगा उक्त खजांची पर प्राथमिकी दर्ज करबाक आदेश जारी केलक अछि। जाहि के आधार पर बैंक प्रबंधक संजय कुमार सिंह गबन के आरोपी संजय कुमार के विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करबाक लेल थाना मे लिखित आवेदन देने छल। आवेदन के आधार पर कांड संख्या 135/016 दर्ज कय देल गेल अछि।