मधुबनी सदर अस्पताल मे मरीज के जल्दीए भेटत आइसीयू के सुविधा

    0
    286

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक लोक के जल्दिये सदर अस्पताल मे आइसीयू के सुविधा उपलब्ध भय जायत। बहुत दिन सं बंद पड़ आइसीयू के अस्पताल प्रबंधन द्वारा चालू करबाक कवायद तेज कय देल गेल अछि। आईसीयू मे बंद पड़ल मशीन के ठीक कराओल जा रहल अछि, ताकि गंभीर रूप सं पीड़ित मरीज के आइसीयू के सेवाक लाभ देल जा सकय। ज्ञात हो कि सदर अस्पताल के आइसीयू निर्माणक बाद महज ढाई वर्ष बाद बंद भय गेल छल।

    सदर अस्पताल स्थित आइसीयू भवनक निर्माण वर्ष 2010 मे जिला स्वास्थ्य समिति द्वारा करबाओल गेल छल। आइसीयू के संचालन दिसंबर 2011 सं प्रारंभ भेल छल तथा वर्ष 2013 के जून सं आइसीयू बंद भय जल। महज ढ़ाई साल आइसीयूक संचालन कायल जा सकल। जाहि के बाद सं वर्ष 2016 के अगस्त धरि केवल इसीजीक कार्य आइसीयू मे होइत अछि।
    सदर अस्पताल स्थित आइसीयू मे 5 कॉर्डियेट मॉनीटर, वेंटीलेटर, तीन टा सेक्सन मशीन तथा इसीजी मशीन लगाओल गेल छल। जतय इसीजी मशीन विगत तीन महीना सं खराब अछि, ओतहि अन्य मशीन रख-रखाव के अभाव मे वर्षो सं बंद पैदल अछि।