नीक काज करय वला चारि गोट डाककर्मी पुरस्कृत

    0
    483

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के प्रधान डाकघर स्थित डाक अधीक्षक कार्यालय के सभागार मे जिला के सब उपडाकपाल एवं डाकपालक बैसक रविवार क संपन्न भेल। डाक अधीक्षक मो. जैनुन्दीन के अध्यक्षता मे आयोजित बैसक मे जिला के सब डाकपाल एवं उपडाकपाल सहित प्रधान डाकघर के कर्मी भाग लेलनि।

    डाक अधीक्षक कहलनि जे, मार्च धरि विजनेश बढाबय के लेल सब के प्रयास करय रडत। बेहतर काज करय वला चारि टा उपडाकपाल के पुरस्कार दय सम्मानित कायल गेल। प्रथम पुरस्कार उपडाकपाल बेनीपट्टी चंद्रानंद झा के देल गेल। बैसक मे प्रधान डाकघर के विजय कुमार, महेश कुमार महतो, आदित्य कुमार झा, फुलदेव यादव सहित अन्य गणमान्य उपस्थित छलाह।