राज्यपाल कहलनि गुरू गोविंद सिंह’क 350वां प्रकाशोत्सव होयत यादगार

    0
    518

    पटना, मिथिला मिरर: दुनिया भरिक सिख संगत के गुरुगोविंद सिंह जी’क 350 वां प्रकाशोत्सवक लेल आमंत्रित करबाक संग पटना मे तीन दिन स चलि रहल अंतरराष्ट्रीय सिख समागम के शनिदिन समापन भय गेल।

    बिहार के राज्यपाल डा.रामनाथ कोविंद समापन समारोह के संबोधित करैत दुनियाभरिक सिख समुदाय के गुरु गोविंदसिंह जी के 350वां प्रकाशोत्सव मे भाग लेबाक लेल निमंत्रण देलनि आ कहलनि जे राज्य मे पहिल बेर आयोजित अहि सिख समागम मे बिहारक लेल चुनौतीक संग एकटा अवसर सेहो रहल। ओ कहलनि जे, सिख समागम राज्यक विकास मे सहयोगी बनत।