छापामारी मे देशी शराबक संग एकटा युवक गिरफ्तार

    0
    306

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के हरलाखी थाना क्षेत्र मे पुलिस छापामारी कय देशी शराब सहित एकटा व्यक्ति के गिरफ्तार केलक अछि। सूत्रक अनुसार छापामारी के दौरान स्थानीय हरुसवार गाम निवासी प्रमोद सहनी के घर स देशी शराब सहित गिरफ्तार कायल गेल अछि।

    ज्ञात हो कि किछु दिन पहिने हरलाखी पुलिस छापामारी कय देशी शराब जब्त केने छल ओहि समय आरोपीक चेहरा सेहो सामने आयल छल, मुदा ओहि समय छापामारी मे आरोपी भागि गेल छल।

    फोटो: काल्पनिक