जदयू देलक महिला आरक्षण विधेयक के समर्थन

    0
    514

    पटना, मिथिला मिरर: जदयू सोमदिन महिला आरक्षण विधेयक के समर्थन करैत कहलक जे, अहि विधेयक के बिना कोनो अगर-मगर के पारित करबाक चाही। जदयू कहलक जे, अहि विधेयक के पारित हेबाक बाद महिला आरक्षण के भीतर पिछड़ल वर्गक लेल आरक्षण के विषय मे सोचल जा सकैत अछि।

    महिला आरक्षण विधेयक के दू दशक पूरा हेबा नेशनल फेडरेशन आफ इंडियन वीमेन द्वारा आयोजित एकटा कार्यक्रम मे जदयू के महासचिव के सी त्यागी कहलनि जे, हालांकि अहि बात पर विशेष ध्यान देबाक जरुरत अछि जे, पिछड़ल वर्ग के आरक्षण के भीतर आरक्षण कोना देबाक चाही।

    त्यागी कहलनि जे, पूरा पार्टी के दिस हम कहैत छी जे, हम महिला आरक्षण विधेयक के समर्थन करैत छी। मुदा जहन 33 प्रतिशत आरक्षण अछि त वंचित वर्ग दिस सेहो देखबाक जरुरत अछि।