पूर्वांचल एक्सप्रेस स लावारिस अवस्था मे हथियारक जखीरा बरामद

    0
    326

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: पूर्वांचल एक्सप्रेसक जेनरल बोगी स समस्तीपुर पुलिस 6 टा बन्दुक आ 12 टा मैगजीन लावारिस अवस्था मे बरामद केलक अछि। रेल एसपी विनोद झा बतौलनि जे, सूचना भेटल छल जे कोलकाता स आबि रहल ट्रेन मे तस्कर हथियारक खेप के संग आबि रहल अछि। जाहि के बाद थानाध्यक्ष के ट्रेन मे जांच करबा के निर्देश देल गेल।

    सूत्रक अनुसार बन्दुक आ मैगजीन जेनरल बोगी मे लावारिस हालत मे राखल छल। एसपी के अनुसार बन्दुक कंट्री मेड अछि मुदा क्वालिटी बहुत नीक अछि। पुलिस जाँच के भनक लगितहि तस्कर हथियार के छोड़ी कय फरार भय गेल।

    जिता हो कि अहि सं पहिने छपरा दिस स आबय बला पूर्वांचल एक्सप्रेस मे पुलिस के 17 टा रिवॉल्वर भेटल छल। गिरोह के पकड़बाक लेल पुलिस एकटा स्पेशल टीमक गठन केलक अछि।