आमक गाछ मे फांसी लगा केलनि आत्महत्या

    0
    370

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: मधुबनीक हरलाखी थाना क्षेत्रक पोतगाह गाम मे विजय शंकर झा के 30 वर्षीय पुत्र सर्व नारायण झा आम के गाछ पर फांसी लगाकय आत्म हत्या कय लेलनि।घटना रविदिन भोरक करीब 7 बजे के अछि। घटना के सूचना भेटतहि थाना पुलिस घटनास्थल पर पहुँच कय लाश के अपना कब्जा मे कय लेलक।

    अहि सम्बन्ध मे मृतक के पत्नी गुड़िया देवी के बयान पर थाना मे यूडी केस दर्ज कायल गेल अछि। गुड़िया देवी पुलिस के देल गेल अप्पन बयान मे कहलनि जे, सबदिन जेना हुनकर पति शौच करबाक लेल घर स भोरे पांच बजे निकलल छलाह, दू-तीन घंटा धरि वापस नहि एला पर खोज बिन के दौरान आम के गाछ पर हुनकर लहास लटकल भेटल।

    पुलिस लहास के पोस्टमार्टम के लेल मधुबनी सदर अस्पताल भेज देलक अछि। थानाध्यक्ष संजय कुमार कहलनि जे, मृतक मानसिक रूप स बिक्षिप्त बताओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे मामलाक जाँच कायल जा रहल अछि। मृतक के एक सालक एकटा बेटी छन्हि।