बारिश के कारण मधुबनी मे सब्जीक खेती चौपट

    0
    378

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक गिलेशन सहित अन्य सब्जी बाजार मे आई-काल्हि ग्राहकक कमी साफ़ नजरि अबैत अछि। हरियर सब्जीक लेल विख्यात मधुबनीक कोईरीक खेत-पथार, बारी-झाड़ी आ घेरा, खीरा तथा सजमैनक मचान पर महंगाईक एहेन रंग चढ़ी गेल अछि जे, लोक सब्जी खेनाई बिसरी गेल छथि। जे सब सब्जी बाजार जा कय किलोक भाव मे सब्जी आनै छलाह से आय सब्जी के देखि घुरि जेबा लेल मजबूर छथि।

    मध्यमवर्गीय परिवार त हरियर सब्जीक स्वाद बिसरल जा रहलाह। मधुबनी मे लगातार भय रहल बारिश तथा अन्य प्रदेश स सब्जीक आवक मे भेल कमीक कारने सब्जी आम लोकक पहुंच स दूर भेल जा रहल अछि। अधिकांश आम लोक एखन दिन-राति आलू सोयाबिन आ आलू मटर के सब्जी खेबाक लेल मजबूर छथि।

    सब्जीक कीमत बढ़बाक मुख्य कारण जिला मे अधिक बारिश के बताओल जा रहल अछि। कृषि विभाग स भेटल जानकारीक अनुसार जुलाई महीना मे 301 एम एम बारिश भेल। एकर अलावा नेपाल के जल अधिग्रहण क्षेत्र मे पानि हेबाक कारण मधेपुर, जयनगर, बेनीपट्टी, फुलपरास, लौकहा सहित अन्य कतेको क्षेत्रो मे आयल बाढ़ि सब्जीक खेती के पूरा चौपट कय देलक। जिला मे सब्जी के प्रमुख उत्पादक क्षेत्र मे अहि प्रखंडक गिनती होईत अछि। असगरे खुटौना एवं मधेपुर जिलाक कुल सब्जी खपत के 60 फीसदी सब्जी आपूर्ति करैत अछि, मुदा बाढ़ि के कारने अहि क्षेत्रक सब्जी खेती बर्बाद भय गेल।
    बाजार मे बाहरक उपलब्ध सब्जीक दाम मे आगि लागल अछि। अनदिना 20 रुपैये किलो बिकाय बला भांटा 50 रुपैये किलो भेट रहल अछि,  जहन कि भिंडी 30 स 40 रुपैये, कद्दू 50 रुपैये, परवल 40-50 रुपैये, फूलगोभी 110 रुपैये, करैला 50 रुपैये, खिड़ा 70 रुपैये,  झिमनी 20 रुपैये, पत्ता गोभी 70 रुपैये तथा आलू 22-25 रुपैये किलो भेट रहल अछि।