दरभंगा, मिथिला मिरर : ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय (एलएनएमयू)क विश्वविद्यालय मैथिली विभागमे प्रो. अशोक कुमार मेहता नव विभागाध्यक्षक रूपमे पदभार ग्रहण कयलनि। प्रो. मेहता, सेवानिवृत्त विभागाध्यक्ष प्रो. अरुण कुमार कर्णक स्थान ग्रहण कयलनि। एहि अवसर पर मानविकी संकायक अधिष्ठाता प्रो. पुनीता झा सहित विभागक शिक्षकगण, कर्मचारी, शोधार्थी आ छात्र-छात्रासभक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।
पदभार ग्रहण करबाक उपरान्त प्रो. अशोक कुमार मेहता कहलनि जे विभागाध्यक्षक दायित्व हुनका लेल सम्मानक विषय तँ अछिए, संगहि ई एकटा महत्त्वपूर्ण उत्तरदायित्व सेहो अछि। ओ विश्वास व्यक्त कयलनि जे विभागक समस्त शिक्षक आ कर्मचारीक सहयोग सँ शैक्षणिक, साहित्यिक आ शोध गतिविधिसभकेँ नव ऊँचाइ धरि पहुँचयबाक लेल ओ सतत प्रयत्नशील रहताह।
एहि अवसर पर विभागक दिससँ पूर्व विभागाध्यक्ष प्रो. अरुण कुमार कर्ण केँ भावपूर्ण विदाइ देल गेलनि, जखनकि नव नियुक्त विभागाध्यक्ष प्रो. अशोक कुमार मेहताक पारम्परिक पाग आ दोपटा अर्पित कऽ हार्दिक स्वागत कयल गेलनि।
अपन विदाइ उद्बोधनमे प्रो. अरुण कुमार कर्ण कहलनि जे विभागाध्यक्षक रूपमे हुनक पाँच मासक कार्यकाल सहयोग, समर्पण आ उपलब्धिसँ भरल रहल। ओ विभागक समस्त शिक्षक आ कर्मचारीसभक प्रति आभार व्यक्त करैत विश्वास व्यक्त कयलनि जे नव विभागाध्यक्षक नेतृत्वमे विभाग आरो प्रगतिक नवीन कीर्तिमान स्थापित करत।
पूर्व विभागाध्यक्ष प्रो. दमन कुमार झा दुनू शिक्षक केँ शुभकामना दैत प्रो. अरुण कुमार कर्णक कार्यकालक सराहना कयलनि। तहिना मानविकी संकायक अधिष्ठाता प्रो. पुनीता झा हुनक योगदानक प्रशंसा करैत स्वस्थ, सक्रिय आ दीर्घ शैक्षणिक जीवनक कामना कयलनि।
एहि समारोहमे डॉ. सुनीता कुमारी, डॉ. अभिलाषा कुमारी, डॉ. सुरेश पासवान, डॉ. देवेश कुमार शर्मा, अमृत कुमार झा, सहायक निरेन्द्र कुमार, रामसेवक भारती सहित विभागक शोधार्थी आ छात्र-छात्रासभ उपस्थित छलाह।
Home
मिथिला समाचार प्रो. अशोक कुमार मेहता सम्हारलनि पदभार, एलएनएमयू मैथिली विभागकेँ भेटल नव विभागाध्यक्ष





