मिडडे मील योजनाक तहत आब बच्चा सभकेँ भेटत फल-फलहरी

    0
    429

    मधुबनी, मिथिला मिरर : मधुबनी जिलाक सभ विद्यालयमे आब मिडडे मील योजनाक तहत बच्चा सभकेँ  सप्ताहमे तीन दिन मौसमक हिसाबसँ उपलब्ध फल सेहो देल जायत। राज्य मध्याह्न भोजन योजनाक निदेशक विनोद कुमार सिंहक आदेशकेँ आलोकमे  डीपीओ एमडीएम सुनील कुमार जिलाक सब स्कूलक  प्रधानाचार्य लोकनिकेँ आदेश जारी कएलथि। प्रदेश निदेशकसँ  प्राप्त आदेशक मुताबिक आब बुधदिन, शुक्रदिन आ शनिदिन बच्चा सभके फल-फलहरी उपलब्ध करेबाक प्रावधान भेल अछि। मेनूक मुताबिक बुधदिन खिचड़ी, केला, अंडा, सलाद, लाल चनाक छोला होयत तहिना शुक्रदिन पुलावक संग केला, चोखा आ हरियर तरकारी आ शनिदिन खिचड़ीक संग फल-फलहरी, चोखा। मेनूमे हरियर तरकारी रहनाय अनिवार्य रहत। डीपीओ एमडीएम निर्देश जारी करैत सब प्रधानाचार्यसँ  कहलथि जे  मिडडे मील योजनाक मेनू विद्यालयक सूचनापट पर प्रदर्शित केनाइ सेहो अनिवार्य अछि। डीपीओ श्री कुमार कहलथि जे सभ आदेशक पालन कएल जाय।  जँ  निरीक्षणकेँ क्रममे कोनो तरहक निर्देशक अनुपालन नै करैत पाओल जायत त’ सख्त कार्रवाई कएल जायत।