पटनामे सेक्स रैकेटक पर्दाफाश, 10 लड़की समेत 18 गोटे गिरफ्तार

    0
    677

    पटना, मिथिला मिरर: पटना पुलिसक विशेष टीम शुक्रदिन पाटलिपुत्र इलाकाकेँ एकटा होटलमे सेक्स रैकेटक सूचना पर छापेमारी केलक। छापेमारीक दौरान पुलिस होटल सँ 10 युवतीक संग आठ युवककें हिरासतमे लेलक अछि।

    होटल सँ बहुत रास अश्लील सीडी आ आपत्तिजनक समान बरामद भेल अछि। जाहि जगह पर सेक्स रैकेटक लेल छापेमारी भेल ओ जगह थानाक समीपमे अछि। आसपासक लोक अहि बातक शिकायत पुलिस सँ केने छल, मुदा पुलिस कार्रवाई नहि केने छल। अंतमे स्थानीय लोक पटना एसएसपी सँ शिकायत केलक जकरा बाद कार्रवाई कएल गेल।

    छापेमारीक बाद होटल मालिक फरार भए गेल अछि। फिलहाल पुलिस हिरासतमे लेल गेल लड़की आ लड़का सं पूछताछ कए रहल अछि। होटलके भीतर सघन तलाशीक दौरान पुलिस बहुतरास आपत्तिजनक समानके अलावा एलईडी, अश्लील सीडी आ साहित्य बरामद केलक अछि।