राजौरी गार्डन उप चुनावमे 14 गोट उम्मीदवार मैदानमे, भाजपा’क कमल पर अकालीकें उम्मीदवार

    0
    272

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: राजौरी गार्डन विधानसभा सीटक लेल 9 अप्रैल कए होबय वला उपचुनावक लेल 14 टा उम्मीदवार मैदानमे उतरल छथि। दिल्लीक मुख्य चुनाव अधिकारी चंद्रभूषण कुमारकेँ अनुसार अहि सीटक लेल नामांकन भरबाक प्रक्रिया पूरा भए गेल अछि, आब आयोग द्वारा नामांकन छटनिक प्रक्रिया शुरू कएल जाएत।

    ओ कहलनि जे, अहि सीट पर आयोगकेँ 21 टा नामांकन प्राप्त भेल अछि। आयोगक नियमानुसार एकटा प्रत्याशी चारि नामांकन भरि सकैत अछि। कियैक त छोट-छोट गलती पर नामांकन रद्द करबाक प्रावधान अछि। 29 मार्च धरि प्रत्याशी नामांकन वापस लए सकैत अछि।

    अहि सीट पर भाजपा आ अकाली दलमे तकरारकें बाद भाजपा अहि सीट पर अकाली दलक प्रत्याशीकें चुनाव लड़बाक मंजूरी देलक अछि, मुदा अकाली दलक प्रत्याशी एमएस सिरसाकें भाजपाक चुनाव चिन्ह पर चुंनाव लड़बाक बात कहल गेल अछि। ज्ञात हो कि एनडीए गठबंधनमे ई सीट अकाली दलक खातामे अछि, जाहि कारने दुनू पार्टीक बीच बहस छल। अंतमे भाजपा अप्पन चुनाव चिन्ह पर अकालीकें प्रत्यासी एमएस सिरसाकें मैदानमे उतारबाक मंजूरी देलक अछि।