मधुबनी मे इलाजक अभाव मे 10 महिनाक बच्ची’क मौत

    0
    328

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के खुटौना मे 10 महिनाक अबोध बीमार बच्ची के लय परिजन राति भरि पीएचसी स लय निजी क्लिनिक तक भटकैत रहल। परंतु बच्चीक इलाज कतहु नहि भेल। अहि बीच बीमार बच्चीक तबीयत ख़राब होइत गेल आ अंत मे ओ मायक कोरा मे दम तोड़ि देलक।

    अहि संबंध मे मृतक बच्चीक मां मेहरून खातुन के बयान पर पीएचसी के डॉक्टर ए एन झा पर  खुटौना थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। दर्ज प्राथमिकी मे कहल गेल अछि जे, नहरी बेला गामक मो. निजामुद्दीन के दस मासक पुत्री के राति मे अचानक तबीयत खराब भय गेल। परिजन के तत्काल बच्ची के लय पीएचसी आओल गेल। परंतु एतय प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी नहि भेटल आ ने कोनो डॉक्टर ड्यूटी पर तैनात छल।

    जानकारी के अनुसार राति नौ बजे जहन बीमार बच्ची के लय पीएचसी आओल गेल त पीएचसी मे एक मात्र फार्मासिस्ट तैनात छल। ओ प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी के अप्पन आवास पर हेबाक बात कहलक। परंतु ओहि समय पीएचसी प्रभारी आवास पर सेहो नहि भेटल। परिजन खुटौना के बहुतो निजी डॉक्टरक तलाश मे भटकल, परंतु निजी क्लिनिक मे सेहो कतहु डॉक्टर नहि छल।