लोकतंत्र मे विरोध स्वभाविक, राजनगरक विकास प्राथमिकता-रामप्रीत

    0
    338

    राजनगर,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः पूर्व विधायक आ राजनगर विधानसभा सीट सं बीजेपीक संभावित उम्मीदवार रामप्रीत पासवान कहला जे लोकतंत्र मे विरोधी द्वारा विरोध हैव स्वभाविक अछि आ एकर सम्मान हेवाक चाही। मिथिला मिरर किछु दिन पूर्व एकटा खबैर छपने छल जाहि मे राजनगर विधानसभाक किछु भारतीय जनता पार्टी सं जुड़ल व्यक्ति रामप्रीत पासवानक संभावित उम्मीदवारी पर ऐतराज जतौने छलाह। 
    मिथिला मिरर कें संपादक सं बीतचीत करैत रामप्रीत पासवान कहला जे हम लगातार क्षेत्रक जनता बीच जा रहलौ अछि मुदा हमरा एहन तरहक कोनो विरोध नहि भेटल। जहां तक विरोध करवाक बाद छैक त ओ लोकतंत्रक एकटा मजगूत आधार छैक ओ ओहि विरोध कें सम्मान हेवाक चाही। भारतीय जनता पार्टी सं जुड़ल कोनो पदाधिकारी ओ कि सदस्य अथवा विधानसभा क्षेत्रक कोनो व्यक्ति कें जौं हमरा सं कोनो तरहक दिक्कत छन्हि त ओ हमरा सं संपर्क कय अपन विचार हमरा तक अवश्य राखैथ। 
    हम लगातार क्षेत्र सं जुड़ल छी आ समाज मे जे कोनो भी काज होइत अछि जौं हमरा ओहि ठाम सं बुलावा भेटैत अछि त हम ओहि मे अवश्ये भाग लैत छी। हमर एक मात्र ध्येय अछि कि राजनगरक विकास कोना हेतैक। राजनगर विधानसभा कें उत्कृष्ट बनायब हमरा सबहक जिम्मेदारी थिक। किछु एहन काज छैक जे हमरा नजैर मे बहुत बेसी अवश्यकता राखैत छैक मसलन राजनगर स्टेशन पर समस्त रेलगाड़ीक ठहरावक संग-संग राजनगर कें सौंदर्य आ पर्यटन केंद्रक रूप मे एकटा अलग पहिचान दियायब प्रमुख अछि।