राजनगर मे बड़ी लाइनक समस्त ट्रेनक हो पड़ाव, सरकार करै विचार

    0
    515

    राजनगर,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः पूर्व मध्य रेलवेक समस्तीपुर मंडलक अंतर्गत आवयवला रेलवे स्टेशन राजनगर कोनो पहिचानक मोहताज नहि अछि। कारण जखन दरभंगा-जयनगर रेल खंड पर छोटी लाइनक परिचालन छल तखन समस्तीपुर मंडल मे सब सं बेसी टिकट अहि स्टेशन सं कटेवाक रिकार्ड सेहो बनैत रहल छलैक। दरभंगा-जयनगर रेल खंड पर जखन बड़ी लाइनक शुभारंभ भेल ओहिकें बाद सं इ अपेक्षा लगाओल जाइत रहल अछि कि राजनगर स्टेशन पर समस्त दूरस्त ट्रेनक ठहरावक व्यवस्था रेल मंत्रालय द्वारा कैल जायत मुदा एखन धरि अहि दिशा मे कोनो सार्थक प्रयास नहि भय सकल।
    कियैक हो राजनगर मे ठहराव?
    राजनगर कतेको दृष्टि मे अति महत्वपूर्ण अछि। सब सं पहिने त इ दरभंगा महराजक गढ़ छलन्हि आ राज कैंपस कें जौं केंद्र अथवा राज्य सरकार पर्यटन स्थल रूप मे विकसित करय त देशक कतेको पैघ पर्यटन स्थल सं नीक आ लोकलुभावन जगह इ सिद्ध भय सकैत अछि। मुदा केंद्र एवं राज्य दुनू सरकार अहि दिशा मे कोनो सार्थक प्रयास नहि केलक। दोसर राजनगर मे पैछला किछु बरख पहिने ‘एसएसबी’ सशस्त्र सीमा बलक छावनी सेहो बनाओल गेल छलैक आ ओहि छावनी मे देश भरि सं रहवाक लेल सशस्त्र सीमा बलक जवान लोकनि आवैत छथि। 
    सुरक्षा दृष्टि सं सेहो इ एकटा अति महत्वपूर्ण स्थान राखैय वला जगह थिक। तेसर जे मिथिला अथवा मधुबनी पेंटिंग विश्व भरि मे विख्यात अछि ओकर निमार्ण मे लागल सिमरी ‘सतघारा’ पात्र टोलक कतेको परिवारक लेल अपन साजो सामान आनब ओ लय जेबा मे बहुत बेसी सहायता प्रदान हेतनि। तहिना मिथिलाक मखान जे विश्व भरि मे अपन एकटा अलग स्थान बना चुकल अछि ओकरो बहुतायत खेती अहि क्षेत्रक लोक करैत छथि आ ओहि किसान लोकनि कें सेहो अपन सामान कें एक जगह सं दोसर जगह धरि लय जेवा मे बेसी दिक्कतक सामना नहि करय पड़तनि। 
    टिकट बिक्रीक दृ़ष्टि सं राजनगर पहिने अपन एकटा अलग स्थान बना चुकल अछि आ एकर रकवा सेहो आन रेलवे स्टेशन सं कम नहि छैक। राजनगर एकटा एहन स्थान पर बनल रेलवे स्टेशन छैक एकरा सं नहि किछु त सैकड़ों गामक लोक प्रतिदिन रेल पकड़वाक लेल अहि स्टेशन तक आवैत छैथ।
    राजनगर मे ट्रेनक ठहराव ओ मांग 
    वर्तमान मे जे ट्रेनक पड़ाव राजनगर मे छैक ओहि मे जयनगर-सियालदह दैनिक गंगा सागर एक्सप्रेस, जयनगर-अमृतसर शहीद/सरयू यमूना एक्सप्रेस, जयनगर-दानापुर इंटर सिटी एक्सप्रेस आदि ट्रेनक ठहराव अहि स्टेशन पर होइत अछि। त दोसर दिस आनंद विहार-जयनगर गरीब रथ, जयनगर-रांची एक्सप्रेस ओ 11 सितंबर सं जयनगर तक बढ़ा क चलाओल जाय वला स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेसक सेहो ठहराव अहि स्टेशन पर नहि देल गेल अछि। भविष्य मे जौं कोनो आओर ट्रेनक परिचालन अहि रूट पर हैत त ओकरो ठहराव अहि स्टेशन पर नहि देल जेतैक।
    ठहराव मे कि छैक दिक्कत?
    रेल मंत्रालयक मानी त मधुबनी ओ राजनगर स्टेशनक बीचक दूरी बहुत बेसी नहि अछि ताहि लेल अहि स्टेशन पर सब ट्रेनक ठहराव ओहि ठाम संभव नहि छैक। मुदा जौं बात करी त मधुबनी ओ सकरीक जे दूरी छैक ओहो राजनगर-मधुबनी सं किछुये बेसी छैक मुदा सकरी त जंक्शन छैक आ ओहिठाम सं बहुतो रूटक ट्रेन फुटैत अछि। मुदा राजनगर आर्थिक, कला, व्यवसायिक, सुरक्षा एवं लोकब हित सहित कतेको एहन क्षेत्र छैक ओहि कें लय बहुत बेसी महत्व राखैत अछि। दुःखक बात इ जे एखन धरि ओहि क्षेत्रक जे जनप्रतिनिधि लोकनि छैथ सेहो संसद ओ कि सरकार लग अखन तक प्रमुखता सं अहि बात कें रखवा मे या त सफल नहि भेलाह या फेर हुनका लोकनिक लग इच्छा शक्तिक अभाव छन्हि। 
    मिथिला मिरर अपना ओ समस्त मिथिला दिस सं प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ओ रेल मंत्री सुरेश प्रभु सं आग्रह करैत अछि जे ओहो सब अहि विषय मे गंभीरता सं सोचैत राजनगर कें आओर बेसी प्रसंन्न ओ उन्नतीशील हेवका लेल प्रेरित करैथ।