मैथिली सिनेमाक वार्षिक लेखा-जोखा-2014

    0
    562

    कोलकाता,मिथिला मिरर-भास्कर झाः मैथिली सिनेमाक लेल वर्ष 2014 अनेक रुपमे बहुत नीक आ महत्वपूर्ण रहल। एक दिस युवा मैथिल मिथिलामे फिल्म उद्योगक स्थापनाक लेल अपन तत्परता देखौलनि, त दोसर दिस  बहुत रास छोट-पैघ फिल्मक सफल प्रदर्शन सं सिनेमा हॉलक समस्याक समाधान भेटैत देखल गेल। बहुत रास फिल्मक निर्माण केर घोषणा आ सफल प्रदर्शनसं मैथिली सिनेमाक वर्तमानकें किछु इजोत भेटल। मैथिली फिल्म अकादमी, दरभंगाक तत्वधान आ पटनामे आयोजित मैथिली लिटरेच फेस्टिवलमें मैथिली सिनेमाक विविध पहलु पर विचार विमर्श भेल त संगे चर्चित लघु फिल्म “रक्ततिलक” प्रदर्शन सं प्रेरणापरक वातावरणक निर्माणमे किछु बल भेटल। किछु युवा मैथिल, गायक ओ गायिका अभिनेता, अभिनेत्रीक रुपमें पर्दा पर अवतरित भेला, भेलीह त किछु संगीतकारके रुपमे हिन्दी सिनेमाक दिग्गज गायक, गायिकाकें अपन संगीत निर्देशनमे गीत गौवेलाह। निर्देशनक क्षेत्रमे सेहो किछु युवा मैथिल निर्देशक अपन निर्देशन कलाक प्रदर्शन कयलनि। मैथिली फिल्मक प्रदर्शन लेल सिनेमा हॉलक समक्ष धरना प्रदर्शन भेल त राजनीति ओ राजनेताक माध्यमें राज्य स्तर पर  मैथिली फिल्मक प्रति राज्य सरकारक उदासीनताओ भेदभावक विरुद्ध कड़गर विरोधक स्वर मुखरित भेल। कुल मिलाकए, ई वर्ष मैथिलीक सिनेमाक प्रगति लेल शुभ आ सफल रहल।
    वर्ष 2013 मैथिली फिल्म उद्योग के लेल ऐतिहासिक वर्ष छल। 2013मे करीब 27 गोट फिल्मक निर्माण केर घोषणा भेल छल। घोषित एहि फिल्मक सूचीमे सं करीब छह-सात टा फिल्म दर्शकक बीच आयल आ प्रशंसित भेल। वर्ष 2014मे सेहो, फिल्म निर्माण आ प्रदर्शन संबंधी गतिविधिमे आओर बेसी तेजी देखल गेल। भोजपुरी फिल्मक मारिसं औंघरायल मिथिलाक सिने प्रेमीक ध्यान मैथिलीक सलील ओ शालीन सुन्दर फिल्म दिस आयल। वर्ष 2014के प्रारंभमे मैथिलीक बहुचर्चित आ सबसं बेसी बजटक फिल्म ‘सजना के अंगना मे सोलह सिंगार’ गंगा कैसेटक माध्यमसं बजारमें डीवीडीके रुपमे आयल। कथा, अभिनय आ फिल्मांकन सब रुपमें बड्ड सुन्नर एहि फिल्मक कथा वस्तु समाजमें व्याप्त अनाचार, दुराचार, भ्रष्टाचार आ व्यर्थ परम्परा आदि पर केन्द्रित छल। फिल्मक सब गीत कर्णप्रिय अछि जकरा स्वर देने छलैथ उदित नारायण झा, साधना सरगम, दीपा नारायण, इंदु सोनाली, विनोद गुआर, संजय झा, ओम प्रकाश ठाकुर एवं मुरलीधर, पटकथा, गीत-संगीत एवं निर्देशन केने छलैथ लोकप्रिय अभिनेता, गायक, निर्देशक मुरलीधर। राहुल सिन्हा, राखी त्रिपाठी, शिव आर्यन, तृप्ति नाडकर, राजीव सिंह (गजराज ), लल्लन सिंह, विनीत झा, वसंत कुमार, रूबी अरुण, यदुनाथ मिश्र, विनोद गुआर, सुधा झा, दीपाली चोकसे एवं मुरलीधर जी आदिक अभिनय सराहनीय अछि। 2013 जेना 2014 सेहो अहु रुपमे बड्ड नीक रहल जे डीडी बिहार पर मैथिली फिल्मक प्रसारण कएल गेल। 22 सितम्बर 2012 केँ दूरदर्शन पटना द्वारा मैथिली फिल्म ‘मुखियाजी’क प्रसारणक बाद फेर सं एकटा मैथिली फिल्म ‘पिया संग प्रीत कोना हम करबै’ 1फरवरी 2014 केँ दूरदर्शन बिहार पर प्रसारित भेल। एक तरहें एहि वर्षक ई प्रारंभिक उपलब्धि छल। डीडी बिहार पर मैथिली फिल्मक प्रसारण राज्य स्तर पर मैथिली फिल्मक स्वीकार्यताक रुपमे देखल जएबाक चाही।
    आलोच्य वर्षक दौरान करीब आधा दर्जन मैथिली फिल्म प्रदर्शित भेल त किछु रीलिज होयत-होयत रहि गेल। सिनेमा हॉलक समस्याक कारणे किछु फिल्म विलम्बसं प्रदर्शित भेल मुदा वर्षक उत्तरार्धमे अप्रत्याशित सफलता भेटल। एहि वर्ष प्रदर्शित पहिल फिल्म छल “घोघ मे चांद” जेकि 14 फरवरीके दरभंगा स्थित मूवी प्लेनेटमे शुभ प्रदर्शन कएने छल। एहि फिल्मक यथासमय सफल प्रदर्शन मैथिली सिनेमा लेल शुभ संकेत छल। ई फिल्म मैथिली फिल्मक समक्ष सबसं पैघ समस्या-हॉलक समस्या-केर मिथकके तोड़यमे महत्वपूर्ण भूमिका निभौलक। हॉलमे दर्शकक उपस्थिति एहि बातक द्योतक छल जे समुचित रुपमे प्रदर्शित फिल्म, नीक अभिनय, सुन्नर गीत संगीत आदि भेला पर मैथिली सिने प्रेमीक संख्या कहियो कम नहि भए सकैत अछि। बादमे घोघ मे चांद बहुत गोट हॉलमे चलैत रहल।
     
    दरभंगामे महाशिवरात्रिक अवसर पर अपन मिथिला फिल्म्स प्रोडक्शन्स बैनरक अधीन बनल आ चन्दन मिश्रा जी द्वारा निर्देशित मैथिली फिल्म “प्रेम प्रतिज्ञा”क शुभारंभ त भेल मुदा लगले एकटा अशुभ घटना सेहो घटल। 28 मार्च 2014कें मैथिलीक पहिल फिल्म “ममता गाबय गीत”क नायक त्रिदीप कुमारक निधनसं मैथिली फिल्म उद्योग मर्माहत भ उठल। विदित हो जे कुमार बहुत रास हिन्दी फिल्ममें काज सेहो केने छलैथ मुदा तईयो मैथिली फिल्मक डेग आगू बढैत चलि जायत रहल। 27 जून 2014 कें ए क्रियेशन्सक मैथिली फिल्म ‘दीवाना अहांक प्यारमे’ केर प्रदर्शन भेल। नवीन मिश्रा द्वारा निर्देशित एहि फिल्ममे गायक माधव राय केर अभिनयक पारी देखबाक भेटल। नीक रिस्पॉंस भेट्ल आ किछु आस सेहो बढल। विजयादशमी विश्वास, संघर्ष, धैर्य, विजय आदिक प्रतीक थिक। एहि शुभ समयमे अर्थात तीन अक्टूबर 2014 कें रीलिज भेल बहुचर्चित मैथिली फिल्म “हाफ मर्डर”। साईं चरण इन्टरटेनमेन्ट बैनरक अधीन, मधुबनीमे घटल सत्य घटना पर आधारित, रमानाथ झा द्वारा निर्मित ओ निर्देशित ई फिल्म एक तरहे इतिहास गाडि गेल। फिल्मक माध्ये एक दिस लोकप्रिय गायक सुनील कुमार पवन संगीतकारक रुपमें उभरिकए सोझा अयलाह, तो दोसर दिस मिथिलाके एक्टा चॉकलेटिया हीरो भेटल कृष्णा मिश्राक रुपमे। हाफ मर्डर अबिते हॉलक समस्याक समाधान रस्ता दिखा देलक। सुन्नर मधुर मनमोहक गीत संगीतक बले फिल्म बहुत रुपमे ऐतिहासिक छल। मैथिलीमे शान, कविता कृष्णमूर्तिक गावल गीत सुनबाक भेटल। कहबाक आवश्यकता नहि जे पूर्वमे मो. अजीज, कुमार शानू, रबीन्द्र जैन आदि मैथिलीमे गौने छैथ। मुदा शान आ कविता कृष्णामूर्तिकें मैथिली गवा निर्माता निर्देशक अनुपम कार्य कयलनि। फिल्म बहुत रास हॉलमे चलल। एक तरहें ई फिल्म मैथिली सिनेमाक वर्तमान परिदृष्यक छवि सजारि संवारि देलक। 
     
    एक दिस एससीवी प्रोडक्शन्स बैनरक, अजीत मेहता द्वारा निर्देशित, देवराज, माधव राय, विक्की चैधरी द्वारा अभिनित फिल्म “हीरो तोहर दीवाना” कम बजटमे निर्मित भेलाक बादो स्तरीय बिजनेश करयमें सफल रहल। ई फिल्म दरभंगाक लाईट हाउसमे नवम्बर 2014 के रीलीज भेल छल, त दोसर दिस  छईठक अवसर पर प्रदर्शित जे एम प्रोडक्शनक मैथिली फिल्म ‘मीत हमर जनम जनम के’ सं लोकप्रिय गायक विकास झा अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ कयलनि। ई दुनू फिल्म मैथिली दर्शककें अपन दिस आकृष्ट करयमे सफल बुझना जायछ। अहि फिल्म मे हिन्दी जगतक उत्कृष्ट गायक सोनू निगम कें सुनव सेहो अपना आप मे एकटा मीलक पाथर सन बुझना गेल। ओमहर नेपालीय मिथिलामे सेहो फिल्मक सक्रियता देखल गेल।  अक्टूबर 2014 मे ‘बिकल दुल्हा मौगी के गुलाम’ त 16 नम्बर 2014कें ‘रमौलवाली’क सफल प्रदर्शन भेल।
    मैथिली साहित्यिक ओ सांस्कृतिक गोष्ठीक आयोजन होयते रहल छैक मुदा सिनेमा संबंधी विचार गोष्ठीक अभाव खटकति रहल अछि। परन्तु एहि वर्ष मैथिली सिनेमाक दशा-दिशा पर कार्यक्रम आयोजित कयल गेल जेकि बहुत आह्लादकारी रहल। 24 सितंबर 2014 कें दरभंगामें मैथिली फिल्म अकादमी, दरभंगा के तत्वावधानमे मैथिली फिल्मक दशा-दिशा पर कार्यक्रम आयोजित कयल गेल त पटनामे आयोजित मैथिली लिटरेचर फेस्टिवलमे मैथिली सिनेमाक वर्तमान स्थिति पर कार्यशाला समपन्न भेल। एहन कार्यक्रम सं ई साबित भ गेल कि आबय बला समयमे मैथिली सिनेमा मुख्य धाराक विषय वस्तु बनल रहत। मैथिली फीचर फिल्मक अतिरिक्त, लघु आ डॉक्यूमेन्टरी फिल्मक क्षेत्रमे आयल सक्रियतासं मैथिली सिनेमाक लोकप्रियतामे बढत सेहो भेल। एहि वर्ष किछु लघु फिल्मक माध्यमे  मिथिलाक गंभीर विषयके सेहो उठावल गेल। सागर झा, आशुतोष सागर, निलेश मिश्रा आदि मैथिली डॉक्यूमेन्टरी फिल्मक माध्यमे सक्रिय रहला।
    मैथिली फिल्मक एहि बर्खक लेखा जोखामे किछु अपूर्णीय क्षतिक मात्रा सेहो रहल। बर्खक प्रारंभमें त्रिदीप कुमारक निधन त बर्खान्तमे ममता गाबय गीतक निर्देशक परमानन्द जीक देहावसान सं मैथिली फिल्म उद्योग मर्माहत रहल। 16 दिसंबर 2014कें लोकप्रिय रंगकर्मी , सशक्त अभिनेता, जुझारू पत्रकार कुमार शेलेन्द्र जी काल कवलित भ गेलाह जकर दुख-दंश एखन धरि बनले अछि। शैलेन्द्र मैथिलीक प्रसिद्ध गीतकार रविंद्रनाथ ठाकुर द्वारा निर्मित अ निर्देशित हिंदी डोक्युमेंटरी फिल्म ‘आयुर्वेद की अमर कहानी’ सं अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ केने रहैथ। तकरबाद, मैथिली फिल्म ‘सिन्दूरदान’ सौभाग्य मिथिला पर प्रसारित धारावाहिक ‘दियर -भाऊज’ में हुनकर अभिनय क्षमताक बड्ड प्रशंसा भेटल छल। हुनक अंतिम फिल्म ‘घोघ में चांद’ छल। 2014 जाइत जाइत हमरा सबसं मैथिली फिल्म ममता गाबय गीतष् निर्देशक सी परमानन्द जीके सेहो छीन ल गेल। परमानन्द जीक देहावसान 19 दिसंबरके पटनामे भ गेल छल। परमानन्द जी हिन्दी फिल्म ‘‘तीसरी कसम” में मैथिली बाजि मिथिला ओ मैथिलीक लोकप्रियता साबित कयने छलाह। तथापि, एहि बर्खक दौरान मैथिलीमे किछु आओर फिल्म निर्माणक घोषणा भेल। प्रख्यात साहित्यकार राजकमल कथा पर आधारित “ललका पाग”, देसवा फेम निर्देशक नितिन चन्द्राक “मिथिला मखाना हाउस प्राइवेट लिमिटेड”, युवा मैथिल नरेश मंडलक ‘अपन प्रेम’ मिथिलांचल एक्सप्रेस मिथिलेश चैरसियाक ‘छौड़ा अगत्ती छौड़ी भगवती समेत डेढ दर्जन सं बेसी घोषित फिल्मक सूचीमे किछु उल्लेखनीय नाम अछि। 
    एहि प्रकारे हम देखि सकैत छी जे बर्ख 2014 मैथिली सिनेमाक विकासमे महत्वपूर्ण योगदान दैत किछु आस जगौलक कि मिथिलामे मैथिली फिल्म उद्योगकें वाणिज्यिक स्तर पर स्थापित करबामे आब बेसी समय नहि लागत। सिने प्रेमीक बीच मैथिली फिल्म अपन लोकप्रियता बना आ बढा रहल अछि। एहि सुन्नर परिदृष्यकें देखैत ई अबस्से कहल जा सकैत अछि जे मैथिली सिनेमाक भविष्य आब उज्ज्वल होमय बला अछि। 2015के प्रारंभमें करीब पांच गोट फिल्मक प्रदर्शन केर सुनियोजित योजना बनावल गेल अछि। मिथिला मिरर परिवार ओ समीक्षक दिस सं नव वर्षक शुभकामना सहित मैथिली सिनेमाक पथ प्रशस्त होय तकर हार्दिक कामना।