मिथिला मिररक नव लोगोक लोकार्पण केलाक अभिनेता नरेंद्र झा

    0
    508

    दिल्ली-मिथिला मिररः लगभग तीन बरख सं मैथिली मीडिया कें एकटा नव आयाम देवामे अग्रसर मैथिली भाषाक राजनीतिक ओ समसामयिक समाचार पोर्टल मिथिला मिरर आब नव रंग, नव रूप में आबि रहल अछि। एहि कड़ी मे 10 फरवरी क बाॅलीवुडक स्थापित अभिनेता आ मैथिल पुत्र नरेंद्र झा एकटा भव्य कार्यक्रम मे मिथिला मिरर’क नव लोगोक लोकार्पण केलाह। मिथिला मिरर’क नव लोगोक लोकार्पणमे दिल्लीमे मिथिला-मैथिलीकें स्थापित करवामे अहम भूमिका निभा रहल मैथिल अभियानी आ अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चंद्र झा, मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा, राजनीतिक संपादक ब्रजेंद्र नाथ झा, सह-संपादक अभिषेक मिश्र सहित अन्य व्यक्ति सब उपस्थित छलाह।
    मिथिला मिरर कें शुभकामना दैत अभिनेता नरेन्द्र झा कहला जे सिमित संसाधनक बादो मिथिला मिरर बहुत नीक काज कें संपादित कय रहल अछि। आ अहि कें परिणाम छैक जे दिनानुदिन मैथिल समाजक बीच मिथिला मिरर एकटा वैकल्पिक मीडियाक काज कय रहल अछि। बाॅलीवुड अभिनेता कहला जे मिथिला मिररक विशेष भेंट-घांट कार्यक्रम जाहि तरहें समाजक बीच लोकप्रिय बनि रहल अछि ओहि सं मैथिली मीडियाक संवर्धनमे एकटा नव दिशा भेटत। मिथिला मिररक पूरा टीम कें अनेकानेक बधाई दैत बाॅलीवुड स्टार कहला जे हम आगिला किछु दिनमे मिथिला मिरर सं नव रंग रूपक संग नव तेवरक सेहो उपेक्षा राखैत छी।