मधेपूरा जिलाक समस्त विधायकक आपराधिक छविक लेखा-जोखा

    0
    439

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः मिथिला मिररक विशेष चुनावी कार्यक्रम मे आब मधेपूरा जिलाक विधायकक आपराधिक छविक विषय मे मिथिला मिरर पड़ताल देखल जाउ। इ आंकड़ा विधानसभा चुनाव 2010 मे उम्मीदवार द्वारा स्वयं चुनाव आयोग लग देल गेल शपथपत्रक आधार पर अछि। जौं अहि खबैर सं किनको कोनो प्रकारक संदेह हो त मिथिला मिरर ओहि शपथपत्रक काॅपी उपल्बध कराओत।
    बिहारीगंज,जेडीयू-रेणू कुमारीः हिनका पर भारतीय दंड संहिताक विभिन्न धारा मे 2 गोट केस दर्ज छन्हि जाहि मे आइपीसी के धारा 130(इ),131बी, 188 के तहत मुकदमा दर्ज छन्हि।
    मधेपूरा,आरजेडी-चंद्रशेखरः हिनका पर कोनो तरहक न्यायाकि मामला नहि दर्ज छन्हि।
    सिंहेश्वर,जेडीयू-रमेश ऋषिदेवः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    आलमनगर, जेडीय-नरेन्द्र कुमार यादवः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।