मधुबनी सं रामदेव ओ दरभंगा सं इज़हार पर सर्वाधिक मोकदमा

    0
    465

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनाव सं पूर्व मिथिला मिरर मिथिला क्षेत्रक समस्त विधायकक आपराधिक छविक जे चित्रण कैल जा रहल अछि ओहि मे मधुबनी ओ दरभंगा जिलाक समस्त विधायकक जे पड़ताल मिथिला मिरर केलक ओहिकें बाद मिथिला मिरर कें जे तथ्य पता चलल अछि ओहि हिसाब सं प्रस्तुत अछि इ रिपोर्ट। इ रिपोर्ट विधानसभा चुनाव-2010 मे स्वयं प्रत्याशी द्वारा चुनाव आयोगक सम्मुख जे शपथ पत्र देल गेल छल ओहिकें हिसाब सं अछि। 
    रमदेव महतो, बीजेपी-मधुबनीः पर भारतीय दंड संहिताक 4 गोट मैमला मे अलग-अलग धाराक तहत केस दर्ज कैल गेल अछि। हिनका पर जे धारा लागल अछि ओ अहि प्रकारेण अछि ‘आईपीसी’क धारा 120बी, 147, 188, 323, 341, 353, 379, 406, 420 आओर 447 कें तहत मुकदमा दर्ज छन्हि दोसर दिस एलेक्शन कमीशन कें इसी एक्ट 7 कें तहत सेहो मुकदमा दर्ज कैल गेल छन्हि।
    गौड़ा बौराम,जेडीयू-इज़हार अहमदः विधायक इज़हार अहमद पर भारतीय दंड संहिताक विभिन्न धारा मे मे 4 गोट केस दर्ज छन्हि। संप्रदायिक सौहार्द बिगाड़वाक लेल 147, 148 आओर 149 कें अलावे हिनका पर 171इ, 171एफ, 188, 307 आओर 427 कें तहत मुकदमा दर्ज छन्हि। विधायक पर आम्र्स एक्टक तहत कोनो मुकदमा दर्ज नहि भेल छन्हि।
    इ दू गोट विधायक छथि अहि दुनू जिलाक मे जिनका पर विभिन्न मामलाक तहक मामला दर्ज कैल गेल छन्हि। अन्य जिलाक विधायक पर सेहो हमरा सबहक पूर्ण नजैर अछि त बनल रहु मिथिला मिररक संग।