प्रचारक लेल हेलीकाॅप्टर उतारवाक लेल डीएमक अनुमति आवश्यक

    0
    480

    दिल्ली-मिथिल मिररः बिहार विधानसभा चुनाव 2015क अधिसूचना जारी होइत देरी चुनाव आयोग पूर्ण रूप सं अपन रंग मे आबि गेल अछि। जाति, बाहुबल ओ कटाक आधार पर राजनीति करैवला बिहार मे वर्तमान चुनाव ले गड़बड़ी ओ सत्ताक दुरूपयोग रोकवाक लेल चुनाव आयोग हर तहरक कोशिश मे जुटि गेल अछि।
    अहि कड़ी मे चुनाव आयोग नव आदेश दैत कहलक अछि जे बिहार विधानसभा चुनाव मे कोनो भी राजनीतिक पार्टी नेता ओ उम्मीदवार प्रचारक लेल हेलीकाॅप्टरक उपयोग करवा सं पूर्व स्थानीय जिलाधिकारीक अनुमति आवश्यक अछि। अगर कोनो राजनीतिक दल चुनाव आयोगक अहि आदेश कें मानवा सं इंकरा करैत अछि त ओहि दल ओ उम्मीदवारक पर सख्त कार्रवाई करवाक आदेश चुनाव आयोग देलक अछि।