पीएम मोदीक आरोप पर नीतीशक जवाब, तैयार अछि 7 सूत्री प्लान

    0
    365

    पटना,मिथिल मिरर-अपर्णा झाः भागलपुर मे प्रधानमंत्री कें परिवर्तन रैलीक बाद एक बेर फेर सं बिहारक राजनीतिक पारा गर्म भय गेल अछि। भागलपुर मे प्रधानमंत्री मोदी द्वारा बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर कैल गेल टिप्पणीक बाद सुशासन बाबू अर्थात नीतीश कुमार सेहो जुबानी हमलावर भय गेलाह। एकटा संवाददाता सम्मेलन कय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे प्रधानमंत्री चुनाबी जुमला छोडि़ रहला अछि। जखन कि हुनकर कोनो ठोस धरातली योजना हुनका लग नहि अछि। 
    मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे बिहारक विकासक लेल हमरा लग सात सूत्रीय परिकल्पना तैयार अछि जाहि मे युवा, महिला कें अलावे हर घर मे बिजली-पानि पहुंचेवाक सपना अछि। मुख्यमंत्री कहला जे हर अलग-अलग स्वप्नक लेल बजटक निर्धारण कैल गेल अछि। 
    आर्थिक हल, युवा कें बलः बेरोजगार युवाक लेल जे ‘20-25’ सालक छथि हुनका प्रतिमास स्वयं-सहायता भत्ता, छात्रक लेल चारि लाखक तक कें लोनक लेल क्रेडिट कार्ड, पांच सौ करोड़ टकामे इन्क्यूबेशन सेंटर, काॅलेज आ यूनिवर्सिटी मे फ्री इंटरनेट आ न्यू एज एम्प्लाॅयमेंट एक्सचेंजक स्थापनाक लक्ष्य अछि। 
    आरक्षित रोजगार, महिलाक अधिकारः राज्यक समस्त सरकारी नौकरी मे महिलाक लेल 35 प्रतिशत आरक्षणक। सहित अन्य योजनाक नाम शामिल अछि।