पटना मे वोटर कें बंटवाक लेल राखल साइकिल बरामद

    0
    411

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारा विधानसभा चुनावक तिथीक घोषित भेलाक बाद आब समस्त राजनीतिक दल द्वारा नानान प्रकारेंण चुनाव आचार संहिताक उल्लंघनक मैमला सोंझा आबि रहल अछि। टटका मैमला पटनाक कुम्हरार विधानसभा क्षेत्र मे हजारोक संख्या मे साइकिल बरामद भेलाक बाद स्थानीय इलाका मे अहि बातक चच्र्चा जोर-शोर सं चलि रहल छैक। कुम्हरारक भगवत मिलन हाॅल मे इ साइकिल जमा छल।
    मैमला प्रकाश मे एलाक बाद एसडीओ जगह पर पहुंच जांच करवा मे जुटी गेलाह अछि। सूत्र सं भेट रहल जानकरीक मुताबिक इ साइकिल वोटर मे बंटवाक लेल मंगाओल गेल छल। मुदा एखन तक अहि बातक पुष्टि नहि भय सकल अछि। कहल जा रहल अछि कि जेडीयू विधान पार्षद संजय सिंह सं अहि बातक सिलसिला मे पुछताछ कैल जा सकैत अछि। आरोप अछि कि मतदाता मे बंटवाक लेल इ साइकिल हुनका दिस सं मंगाओल गेल छल।
    खबरक मानी त जानकरी भेटिते पटना सिटी कें एसडीओ मजिस्ट्रेटक संग पहुंच सबटा साइकल जब्त कय साइकिलक गिनती करेवाक कार्य शुरू कय देल गेल अछि। उम्मीद लगाओल जा रहल अछि कि अहि साइकिलक कुल संख्या 20 हजारक तक भय सकैत अछि।