देवघर मे भगदड़ सं 11 गोट कावंरिया के मृत्यु आ 50 बेसी घायल

    0
    499

    दिल्ली, मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः आइ भारे देवघर मे मचल भगदड़ सं लगभग 11 गोट कावंरिया के मृत्यु आ 60 गोटे के घायल हेबाक सुचना भेट रहल अछि। इ घटना बाबाधाम मंदिा सं करीब दू किमी दूर बेलाबगान मंदिर के लगिच घटल। चुकि आइ सोमदिन हेबाक कारणे भक्त लोकनिक भीड़ बेसी छल। अपने के बता दि जे बाबा के दर्शन करबा लेल भक्त लोकनिक कतार 10 सं 12 किमी दूरे सं लागल छल भक्त लोकनि अप्रत्याशित भीड़ के दैखैत बैरिकेड सं रोकि धीरे-धीरे भक्तलोकनि के आगु बढेबाक व्यवस्था छल मुदा भोरे जखन बैरिकेड खुजल कि मंदिर परिसर मे अचानक भक्त लोकनिक संख्या मे बढोत्तोरी होमय लागल भक्त लोकनि कतार छोड़ि आगु बढबाक लेल जतन करैय लागल, भीड़ के अनियंत्रित देखि पुलिस बल द्वारा हल्का लाठी चार्ज करबाक कारणे भक्त लोकनि भक्त लोकनि डरे भागनाई शुरू कय देलनि जे भगदड़ रूप धारण कय लेलक।
    प्रत्येक बरख बाबाधाम मे लाखोके संख्यामे भक्त लोकनिक जुटान होइत अछि एहि लेल प्रशासन के तरफ सं भक्त लोकनिक सुरक्षा लेल पुख्ता इंतजाम करबाक दावा कायल जाइत अछि। मुदा एहि तरहक घटना एहिठाम पहिलबेर नहि भेल अहु सं पहिले 2012 मे सेहो भगदड़ मचल छल जाहिमे 9 गोटेक मृत्यु आ 30 गोटे घायल भेल छल। ओतबे नहि अहुबेर एहि मासक शुरूआत मे भगदड़ मचल छल जाहिमे 12 गोटे घायल भेल छल।
    घायलक ईलाज सदर अस्पताल कायल जा रहल अछि। राज्य सरकार द्वारा हेल्पलाइन नं सेहो जारी कय देल गेल अछि -06432-240577 आ 06432-2232299 संगहि राज्य सरकार मृतक के परिजन के दू-दू लाख टका देबाक घोषणा कायल गेल।
    प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सेहो घायल कावंरिया के शीध्र स्वास्थ्य हेवाक कामना करयलनि अहि आ तुरंत झारख्ंाडक मुख्यमंत्री रधुवार दास सं घटना के अतिशीध्र जायजा लेबाक लेल कहलनि अहि।