जौं हमर डीनए खराब अछि त एकर फैसला जनता करत-नीतीश

    0
    382

    दिल्ली,मिथिला मिरर-अभिषेक मिश्रः बिहार विधान सभा संदर्भ मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक पहिल रैलीक बादे बिहारक राजनीति मे तूफान मचि गेल। प्रधानमंत्री मोदी द्वारा नीतीश कुमार ओ लालू प्रसाद यादव पर कैल गेल कटहगर हमलाक बाद दुनू नेता प्रधानमंत्री मोदी पर तिलमिला उठला अछि। प्रधानमंत्री मोदी द्वारा नीतीश कुमार पर कैल गेल कथित टिप्पणी जे हुनकर डीएनए खराब छन्हि अहि पर नीतीश आगि बबूला भय उठला अछि।
    अपना ट्वीटर अकाॅउंट पर नीतीश कुमार लिखलाह अछि जे ‘मोदी जी ने कहा मेरा डीएनए खराब है। मैं बिहार का बेटा हूं तो ऐसे में मेरा डीएनए तो बिहार के लोगों का डीएनए है। अब मैं बिहार की जनता पर छोड़ता हूं कि उनके डीएनए को खराब बताने वाले को वह कैसे जवाब देती है।’
    नीतीश कुमार कहला जे प्रधानमंत्री चुनाव जीतवाक लेल बिहार मे जुमला छोडि़ रहला अछि मुदा हुनका इ बात नहि पता छन्हि जे एक बिहारी सौ पर भारी होइत छैक। अहि चुनाव मे बिहारी जनता हुनका देखा देत जे ओ बेर-बेर झूठक जाल मे नहि फंसैवला अछि। नीतीश कहला जे बिहारक लेल कैल गेल विशेष राज्य दर्जा नहि देवाक कारणें प्रधानमंत्री संसद सत्रक दुहाई द रहला अछि ताकि ओ जनताक सोंझा उघार होइ सं बचि सकैथ।