जीतन राम मांझी कयलनि 13 गोट सीट पर उम्मीदवारक घोषणा

    0
    460

    दिल्ली,मिथिला मिरर-ब्रजेंद्र नाथ झाः हिन्हुस्तानी आवाम मोर्चा अर्थात (हम)क राष्ट्रीय अध्यक्ष जीतन राम मांझी 13 गोट सीट पर पार्टीक उम्मीदवारक घोषणा कय देलनि। प्रथम चरण मे 13 गोट सीटक लेल उम्मीदवारक घोषणा कैल गेल अछि जखन कि दोसर चरण मे आओर 7 गोट सीट पर पार्टी अपन उम्मीदवारक सूची जारी करत। 
    सब सं महत्वपूर्ण बात इ जे बिहारक राजनीति परिचायक बनि चुकल परिवारवादक झलक अहु ठाम देखमे भेटल। मांझी अपना संग-संग अपन बेटा कें सेहो अहि 13 गोट उम्मीदवार मे जगह देलाह अछि।
     
    पहिल सूची मे जारी कैल गेल नाम
     
    दरभंगा ग्रामीण- नौसाद आलम
    कांटी-अजीत कुमार
    हथुआ-महाचन्द्र प्रसाद सिंह
    वैशाली-वृश्णि पटेल
    महुआ-रविन्द्र राय
    खगडि़या-राजेश कुमार उर्फ रोहित चैधरी
    तारापुर-शकुनी चैधरी
    घोषी-राहुल कुमार
    मखदुमपुर-जीतन राम मांझी
    टेकारी-अनिल कुमार
    कुटुंबा-संतोष कुमार मांझी
    सुरसंड-शाहिद अली खां