नोएडामे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह 22 अक्टूबर कऽ

    0
    317

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः भारती मिथिला सहयोग समिति सलारपुर आ दीपक फाॅउंडेशनक संयुक्त तत्वावधानमे 22 अक्टूबर शनिदिनक राइत राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्रक नोएडा सेक्टर 47, मेन दादरी रोड, केशर गार्डन यू टर्न लग भव्य विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन कैल जा रहल अछि। कार्यक्रम अपन तय समयक अनुसार संध्याकाल 7 बजे शुरू जाएत।
    कार्यक्रममे केन्द्रीय पर्यटन एवं संस्कृति मंत्री (स्वतंत्र प्रभार) सह नागर विमानन राज्य मंत्री डाॅ. महेश शर्मा मुख्य अतिथिक रूपमे रहता। तहिना विशिष्ट अतिथिक रूपमे पूर्व गृह सचिव आ वर्तमानमे आरा सं भाजपा सांसद राज कुमार सिंह, मधेपुरा सं सांसद आ जन अधिकार पार्टीक संस्थापक राजेश रंजन उर्फ ‘पप्पू’ यादव, झंझारपुर लोकसभा सं सांसद बीरेन्द्र कुमार चौधरी, विधान विधान परिषद्क पूर्व सदस्य आ बिहार फाउंडेशनक उपाध्यक्ष संजय कुमार झा, गौतम बुद्ध नगरक जिलाधिकारी सहित अनेकानेक गणमान्य व्यक्तिक उपस्थिति कार्यक्रममे रहत।
    सांस्कृतिक रूपे सेहो मंच बहुत बेसी समृद्ध रहत। कार्यक्रममे कुंज बिहारी मिश्र, माधव राय, जुली झा, ज्योति झा, आ रामसेवक ठाकुर अपन सुमधुर अवाज सं उपस्थित जनताक भरपूर मनोरंजन करताह। दिल्ली-एनसीआरमे रहनिहार समस्त मैथिलजन सं मिथिला मिरर आग्रह करैत अछि जे अपने सब अधिकाधिक संख्यामे नोएडा पहुंची अहि विद्यापति पर्व समारोहमे भाग ली आ संस्थाक उत्साह वर्धन करियैन।