कुलपतिक बयान के खिलाफ ‘मिथिला स्टूडेंट यूनियन’ केलक प्रदर्शन

    0
    269

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक नाक पांच पर शुक्रदिन मिथिला स्टूडेंट यूनियन कुलपतिक साकेत कुशवाहा के पुतला दहन केलक। कार्यक्रमक नेतृत्व संस्थाक बिहार प्रभारी अविनाश भारद्वाज केलनि आ कुलपतिक बयानक निंदा केलनि। अमित सिंह उपस्थित छात्र के सम्बोधित करैत कहलनि जे, कुलपति पद पर बैसल व्यक्तिक अपरिपक्व बयान हुनकर मानसिकता के दर्शाबैत अछि। नैतिकताक आधार पर हुनका अविलंब इस्तीफा दय देबाक चाही।

    ज्ञात हो कि कुलपति मधुबनीक जेएनयू कॉलेज मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे कहने छलाह जे, देश मे स्टूडेंट यूनियन के आवश्यकता नहि अछि। जाहि के खिलाफ मिथिला स्टूडेंट यूनियन ई प्रदर्शन केने छल। कर्मठ सेनानी पुरूषोत्तम राय कहलनि जे, अहि बेतुका बयान स ई सिद्ध कय देल गेल जे, कुलपति पदक गरिमा छीन अछि। हिनका शैक्षणिक व्यवस्था सं कोनो मतलब नहि।

    संस्थाक राष्ट्रीय सचिव विद्या भूषण राय कहलनि जे, स्वच्छता व शिक्षाक ढिंढोरा चाहे जतेक पीटल जाय, हकीकत किछु और कहैत अछि। शहर के बीचों-बीच अत्यंत कल्याण छात्रावासक हाल दयनीय अछि।