दरभंगामे भेल मिथिलाक पहिल माॅडल स्किल डेवलपमेंट सेंटरक उद्घाटन, 4 सालमे 20 हज़ार छात्र हेताह लाभांवित

    0
    387

    दरभंगा,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः एक दिस मिथिला क्षेत्रमे पलायनक संख्या पूरा विश्वमे सब सं बेसी अछि। पटनाक गद्दी पर बैसल राजनेता द्वारा लगातार मिथिला क्षेत्रक उपेक्षा मात्रक इ कारण अछि जे मिथिला क्षेत्रमे बेराजगारी सुरसााक मुंह जेना जहुं दिस पसरल जा रहल अछि एहनमे मिथिलाक राजधानी मानल जाए वला दरभंगामे जौं कोनो माॅडल स्किल डेवलपमेंट सेंटरक उद्घाटन हो त अहि सं पैछ खुशी ओहिठामक युवा पिढ़ीक लेल की भए सकैत अछि।
    दरभंगाक राजकुमारगंज स्थित चाणक्या स्किल डेवलपमेंट सेंटरमे मंगलदिन प्रधानमंत्रीक कौशल भारत, कुशल भारत योजना तहत युवा लोकनिकें आत्म निर्भर बनेवाक लेल कौशल मेलाक उद्घाटन स्थानीय सांसद कीर्ति आजाद द्वारा कैल गेल। अपन संबोधनमे सांसद आजाद कहला जे प्रधानमंत्रीक इ योजनाक जतेक प्रशंसा कैल जाए ओ कम अछि कारण अहि योजना सं करोड़ों-करोड़ युवा स्वयंकें आत्म निर्भर बना सकता। इंसानक लेल कोनो हुनरकें सिखवाक कोनो उम्र नहि होइत अछि एहनमे इ योजना निश्चित रूपहिं पलायनक दंश झेल रहल मिथिला क्षेत्रक युवाक लेल एकटा वरदान सिद्ध हैत आ इ सेंटर निश्चित रूप सं मिथिला क्षेत्रक अग्रणी सेंटर बनि युवाकें आत्म निर्भर बनाओत।
    संस्थाक अध्यक्ष दीपक झा कहला जे आजुक युग डिजिटल अछि आ अहि ग्लोबलाइजेशनक युगमे युवाकें स्किल्ड हैव बहुत आवश्यक भए गेल अछि। अगर युवा हुनरबाज हेता त निश्चित रूपहिं आत्मनिर्भर भए अपना समाजक लेल किछु सार्थक करताह। भारत एकटा युवा देश अछि आ अहि देशमे मिथिलाक युवकक कि उपयोगिता छैक जेकरा देश बहुत नीक जेना जनैत अछि।
    संस्थाक निदेशक नवीन कुमार झा कौशल भारत, कुशल भारत योजनाक तहत संचालित स्किल डेवलपमेंट सेंटरक विषयमे छात्र लोकनिकें विस्तृत जानकारी देलाह संगहि छात्र-छात्रा लोकनि सं अहिमे बेसी सं बेसी संख्यामे जुड़वाक आह्वान सेहो केलाह। सभाक संचालन आ धन्यवाद ज्ञापन मनोज कुमार दास केलाह। सभामे संस्थाक प्रशिक्षक अविनाश झा, शौम्या श्र, आकाश, जीतेन्द्र सहित सदस्य लोकनि रवि रोहन, रवि दूबे, अजीत झा, किरन, सचिन, मोहित आ चंदनक संग भारी संख्यामे स्थानीय व्यक्ति लोकनि उपस्थित छलाह।