सड़ककें जर्जरता’क कारण आवागमन बाधित

    0
    256

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार सरकारक सड़क बनेबाक दावाकें पोल खोलैत अछि, बलुआहा चौक सं रेलवे लाइनकें जोड़य वला बलुआहा गामक मुख्य सड़क। अहि सड़ककें क्षतिग्रस्त भेला सं लोककेँ परेशानीक सामना करय पड़ैत अछि। बरसातक मौसममे थाल-खीच लोकक आवागमनमे अवरोध उत्पन्न करैत अछि। अहि सड़कमे बहुतो जगह पैघ-पैघ खाइध बनि गेला सं अधिक दुर्घटना होबय लागल अछि।

    अहि सड़कक दुर्दशाकें लेल मुखिया मो. लालबाबू ग्रामीणक संग बहुत बेर जनप्रतिनिधी सं भेंट कय निदानक गुहार लबौलनि। नतीजा एखन धरि किछु नहि निकलल अछि। उम्हर, अकराहा पुल सं पीएचसी हायाघाट जाय वला सड़कक हालत एतेक जर्जर अछि जे, अहि पर चलब गठिन भेल अछि। प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना सं बनल ई सड़क जतय-ततय टूटल अछि। सड़क पर साइकिल, मोटरसाइकिल, चारि पहिया वाहन सं निकलनाई मुश्किल अछि।

    निर्माणके पांच वर्ष धरि अहि सड़कक मरम्मत व देख-रेख’क जिम्मा अभिकर्ता’क अछि। अहि सड़कक महत्ता एतेक अधिक अछि कि समस्तीपुर व दरभंगा सं आबय-जाय वला लोग आसानी सं गुजरि सकैत अछि।