टीपी कॉलेज के बीएड विभागाध्यक्षक संग मारिपीट, प्राथमिकी दर्ज

    0
    347

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: ठाकुर प्रसाद महाविद्यालय के बीएड विभागाध्यक्ष डॉ. विनोद कुमार शुक्ल के पूर्व बीएड विभागक प्राध्यापक ललन कुमार बृहस्पति दिन कार्यालय मे घूसि कय रजिस्टर मे नाम नहि रहबाक बात पर पिटाई कय देलनि। जख्मी हालत मे डॉ. शुक्ल सदर थाना पहुंच प्राथमिकी दर्ज करबाक लेल आवेदन केलनि।

    थाना मे देल गेल आवेदन मे जख्मी विभागाध्यक्ष विनोद कुमार शुक्ल कहलनि जे, अपराहन दू बजे दिन मे अप्पन कार्यालय कक्ष मे बैसल छलाह। बीएड विभागक पूर्व प्राध्यापक ललन कुमार आबि कय रजिस्टर मे नाम नहि रहय देबाक बात पर बहस करय लगलाह। अहि पर बताओल गेल कि प्राचार्य टीपी कॉलेज के आदेश स शैक्षणिक योग्यता अयोग्य हेबाक कारण नाम रजिस्टर स हटाओल गेल अछि।

    अहि के बाद ललन कुमार हमला कय देलनि। जाहि मे विनोद कुमार के चश्माक शीशा टूटि कय आँखिक नीचां गरि गेलनि। जाहि के बाद मारि पीट होबय लागल। मौका पर मौजूद मृत्युंजय कुमार, शंकर सुमन, दीपक कुमार, रंजीत सिंह, अम्मार अशरफ, बसंत कुमार बचेबाक कोशिश केलनि। मारिपीटक बाद जान स मारबाक धमकी दय ललन कुमार चलि गेलाह। सदर थानाध्यक्ष मनीष कुमार कहलनि जे, मारिपीट स संबंधित आवेदन प्राप्त भेल अछि। मामलाक जांच कायल जा रहल अछि।