केंद्रीय मूल्यांकन दल के आबय सं पहिने मधुबनी सदर अस्पताल मे सुविधा दुरुस्त

    0
    260
    मधुबनी, मिथिला मिरर: केंद्र सरकार द्वारा संचालित योजनाक जानकारी लेबाक लेल स्वास्थ्य विभागक एक सदस्यीय टीम सोमदिन सदर अस्पताल पहुंचल। स्वास्थ्य विभागक केंद्रीय मूल्यांकन टीमक पदाधिकारी शशिभूषण सिन्हा विभिन्न वार्डक निरीक्षण केलनि। हालांकि अहि दौरान ओ स्वास्थ्य विभागक सुविधा के संतोषप्रद बतौलनि। सिन्हा सदर अस्पतालक प्रसव कक्ष, महिला व पुरुष वार्डक जायजा लेलनि आ कहलनि जे, स्थिति ठीक-ठाक अछि। साफ सफाई सेहो संतोषप्रद अछि। टीम के पहुंचय सं पहिने सदर अस्पताल प्रबंधन पूर्ण रुपे तैयार छल। सब दिस चकाचक सफाई कय देल गेल छल।
    तीन दिवसीय दौराक दौरान सोमदिन मधुबनी पहुंचल सिन्हा कहलनि जे, भारत सरकार द्वारा प्रायोजित कार्यक्रमक व्यापक तौर पर जांच कायल जायत आ रिपोर्ट सरकार के सौंपल जायत। प्रथम चरण मे सदर अस्पतालक साफ-सफाई समेत देल जा रहल व्यवस्थाक भौतिक निरीक्षण कायल गेल।
    जांच अभियान मंगलदिन तथा बुधदिन सेहो जारी छल। जांचक क्रम मे बंद पड़ल आइसीयू के उपकरणक निरीक्षण करबाक पश्चात पदाधिकारी सं आइसीयू’क सेवा बहाल करबा मे भय रहल देरी के समस्याक जानकारी लेल गेल। अहि अवसर पर एसीएमओ डाॅ. आरडी चौधरी, डीएस डाॅ. एएन प्रसाद, स्वास्थ्य प्रबंधक ए मजीद, सहायक विपिन कुमार व संगीत सिन्हा उपस्थित छलाह।
    टीमक आबय सं पूर्व सूचनाक कारण पूरा अस्पताल परिसर मे साफ सफाईक संग ब्लीचिंग पाउडरक छिड़काव कराओल गेल छल, जाहि कारण अस्पताल परिसर अन्य दिनक भांति सोमदिन चकाचक छल।