शहाबुद्दीन के बाद तेजप्रताप यादव के संग फोटो मे देखल गेल शार्पसूटर मो. कैफ

    0
    280

    पटना, मिथिला मिरर: पत्रकारा राजदेव रंजन हत्याकांडक मुख्य आरोपी आ शार्प सूटर मो. कैफ के मो. शहाबुद्दीन के बाद आब लालू प्रसाद यादव के पुत्र तेजप्रताप यादव के संग देखल गेल। तेजप्रताप यादव कैफ के संग एकटा फोटो मे देखल गेलाह। बताओल जा रहल अछि जे, ई फोटो सोशल मीडिया तेजी स सं वायरल भय रहल अछि।

    एम्हर जहन फोटो के विषय मे तेजप्रताप सं पुछल गेल त ओ कहलनि जे, हम भरि दिन मे हजरो गोटेक संग फोटो खिंचबैत छी। हमरा नहि बुझल अछि जे ई शार्प सूटर के छी।