झंझारपुर अनुमंडलीय अस्पताल मे बच्चा बदलबाक अजीबोगरीब मामला

    0
    290

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर अनुमंडलीय अस्पताल मे मंगलदिन अजीबोगरीब मामला प्रकाश मे आयल। मामला बच्चा बदलबाक अछि। सूत्रक अनुसार दरभंगा जिला के राजाखरवार गामक आरती देवी नामक एकटा विवाहिता कोरा मे एकटा बच्ची के लय परिवार के किछु सदस्यक संग अस्पताल पहुंचली आ सनसनी फैला देली जे, ई बच्ची हमर नहि अछि। हम लड़का के जन्म देने छलहुँ।

    परिवारक लोग आक्रोश मे छल आ जमि कय हंगामा केलक। अस्पताल मे मौजुद उपाधिक्षक डा. के के पी महथा स शिकायत कायल गेल। सूत्रक अनुसार सोमदिन राजाखरवार गाम निवासी श्रवण यादवक पत्नी आरती देवी अनुमंडलीय अस्पताल के प्रसव वार्ड मे बच्चा के जन्म देलनि। जन्म के बाद बच्चा लड़का हेबाक बात कहल गेल छल। बच्चाक जन्म प्रमाण पत्र सेहो बनल जाहि मे लड़का हेबाक बात दर्ज छल।

    साँझ मे बच्चा के लय जहन घर गेली आ ओतय देखल गेल त ओ लड़की छल। परिजनक कहब अछि जे, ठढ के कारण बच्चा के गर्म कपड़ा मे लपेट कय राखल गेल छल आ जेबा सं पहिने कपड़ा हटा कय नहि देखल गेल। परिजनक आरोप अछि जे, अस्पताल मे मौका पाबि बच्चा बदलल गेल अछि। उपाधीक्षक डा. के के पी महथा कहलनि जे, असल मे की भेल ई कहब मुश्किल अछि, मुदा शिकायत पर अस्पतालक रिकॉर्ड के जांच पड़ताल कय वास्तविकताक पता लगेबाक कोशिश कय रहल छथि।