मधुबनी के सरहद स्कूल सं छात्र लापता

    0
    284

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक पंडौल प्रखंड के बटलोहिया गामक गुणेश्वर कुंवर के 12 वर्षीय पुत्र आलोक कुमार सिंह सोमदिन लापता भय गेल। आलोक सरहद के मध्य विद्यालय मे कक्षा 7 मे पढ़ैत अछि।

    आलोक सब दिन जेना आय सेहो पढबाक लेल विद्यालय गेल छल, विद्यालय मे आलोक के 3 बजे तक देखल गेल छल। 3 बजे के बाद आलोक के पता नहि चलि सकल अछि। जँ कोनो व्यक्ति के आलोकक भांज लागय त ‘मिथिला मिरर’ के अहि 9560295811 पर संपर्क कय सूचना देबाक कष्ट करी।

    आलोक कुमार सिंह, पुत्र – गुणेश्वर कुंवर, गाम बटलोहिया, पुलिस स्टेशन-पंडौल, जिला मधुबनी