जयनगर सं जनकपुर के बीच रेल परिचालन शीघ्र शुरू होयत

    0
    505
    मधुबनी, मिथिला मिरर: पूर्व मध्य रेल, हाजीपुर के एजीएम टीपी सिंह सोमदिन जयनगर स्टेशन पहुंच कय जयनगर रेलवे स्थित रेलवे के विभिन्न उपक्रमक निरीक्षण केलनि। अहि अवसर पर ओ कहलनि जे, जल्दिये जयनगर एवं जनकपुर के बीच रेल परिचालन शुरू भय जायत।
    जयनगर बर्दीबास रेल परियोजना के निर्माण कार्य पूरा हेबा मे आबि रहल विलंब के ओ तकनीकी परेशानीक कारण बतौलनि। ओ जयनगर मे ट्रेन धोबाक लेल पानिक बर्बादी के रोकबा के लेल वाटर रिसाइकलिंग मशीन लगेबाक बात कहलनि। ओतहि एकटा और वाशिंग पिट बनेबाक आवश्यकताक संग जयनगर मे पांच टा प्लेटफाॅर्म हेबाक बात कहलनि।
    ओ कहलनि जे, रेलवे यात्रीक सुविधाक लेल प्रतिबद्ध अछि। अहि के तहत धीरे-धीरे स्टेशन पर सुविधा बढ़ाओल जा रहल अछि। नियमित निरीक्षण के दौरान हुनका संग एडीआरएम राजेश कुमार पाण्डे, सीनियर डीसीएम वीरेंद्र  कुमार, सीनियर डीएमई वेद प्रकाश, सीडीओ राजीव कुमार सिंह, डीईई देवेंद्र सिंह, सीनियर डीसीएम महबूब आलम, सीडब्ल्यूएस राम कुमार राय, आरपीएफ कमांडेंट समस्तीपुर विजय प्रकाश पंडित, स्टेशन अधीक्षक बी एन सिंह समेत रेलवे के अनेक आला अधिकारी संग छलाह।