सिवान पत्रकार हत्याकांडक आरोपी मो. कैफ केलक सरेंडर

    0
    304

    सिवान, मिथिला मिरर: सिवान के बहुचर्चित पत्रकार हत्याकांड के आरोपी मोहम्मद कैफ उर्फ बंटी आय पुलिसक समक्ष सरेंडर कय देलक अछि। ज्ञात हो कि बिहार के बाहुबली सांसद मो. शहाबुद्दीन के जमानतक बाद मो. कैफ के शहाबुद्दीनक संग देखल गेल छल, जाहि के बाद मो. कैफ’क तस्वीर लालू यादव के बेटा आ बिहारक मंत्री तेजप्रताप के संग सेहो देखल गेल छल। मोहम्मद कैफ के शहाबुद्दीन’क बेहद करीबी मानल जाइत अछि।

    कैफ सीवान के दक्षिणी टोला मोहल्ला मे रहैत अछि, आ ओ 2007 मे छेड़खानी के आरोप मे जेल सेहो जा चुकल अछि। कैफ के राजदेव हत्याकांड के मुख्य आरोपी लड्डन मियां के शूटर बताओल जा रहल अछि।अहि सं पहिने सीवान पुलिस कैफ आ कैफक संगी जावेद के फरार घोषित कय चुकल छल।